Sunday, February 20, 2011

याद किया अबैया ओ

कोना कs जिबू आब हम लागल यई चोट जबानी में -२
प्रेमके वादा कsक छोइर देलक हमरा
बिच रास्तामे आइब कs दिल तोइर देलक हमरा
कोना कs जिबू आब हम लागल यई चोट जबानी में -२

सपना छल जे हमर
पूरा भ नै सकल
वादा कsक हमर साथ छोइर देलक हमरा
कोना कs जिबू हम ...................................२

रिश्ता नाता तोइर कs प्रेम जे करै छेलौ
साथ नै दक हमर दोसरके हात पकरलक ओ
की कमी छल हमरा में ओं त नै जाहिर केलक
कोना कs जिबू आब हम ........................................२

प्रेमके संसारमें  टुहरा बना देलक हमरा
पिबई छि ओकरे खातिर तैयो याद अबै या ओं
छोइर देलक साथ तैयो किया तर्सबै या ओ
सपना के संसारमे देखै छि आब ओकरे हम

आई जे साथ छोइर देलक जिब के मन नै करैया ओ
पिबई छि शराब तै यो किया याद अबै या ओ
ओकर ओ नासालू नयन अखनो मन परैया जे
अपनो अईखो स नोर गिर परैया हमरा
कोना कs जिबू आब हम ........................................२

जैन तू जे बात इ सब
प्रेम त कहियो नै करतौ
प्रेमक इ जालमे हम कहियो नै फस्तौ
माछ जेका छट पटाइ छि याद जखन अबैया ओ
कोना क जिबू आब हम लागल यई चोट जबानी में .........२
                                                                                       - राहुल झा (गीत)

No comments:

Post a Comment